May 2012
M T W T F S S
« Dec    
 123456
78910111213
14151617181920
21222324252627
28293031  

Archive for the ‘समस्या’ Category

क्रियाचोर युवक

Wednesday, December 22nd, 2010

आबक नव नवतार छौरा सब तs फैसन में तते ने चूर रहैत छथि जे की कहू |आब अहू सब सोचैत हाब जे इ कहियो रहल छैथ आ पुछैत छथि जे की कहू ?  हे नै यौ सज्जनवृन्द हम फुसि नै बजलहु एकर पांछा एकटा छोट छीन घटना हमरा एहि बेर गाम गेला पर दृष्टिगोचर भेल तैं कहलहु| ओना हम बुझी रहल छि जे इ गप्प किछु लोक के कटोंझ लगतैन, तत्पश्चात हम एहि घटनाक वर्णन करबाक हेतु अतीउत्सुक छि | भेल ऐना जे —- एहि दीपावली में हम गेल रही गाम, गाम गेनू सबटा तs बड नीक मुदा रवि दिन रहै हमर एकटा दोस्त एला आ कहैत छैथ जे भाई चलू कनि गाछी स घुमने आबई छि | आब पहिले ओहि दोस्त के बारे में किछु जानकारी द देल जा – हुनकर नाम रहैं घनश्याम मिश्र, आब ओ कोनो मिश्र रहैथ अप्पन सब के की बिगारि लेता यौ , तैं नाम स नै डेराऊ |ओ दिल्ली स गाम दिवाली मनाब आइल रहैथ हुनकर बाबूजी कहलखिन- बौआ जाऊ कनि गाछी देखने आब जे कमोट करs बला भs गेलै वा नहि , भs  गेल हेतई तs कनि कs देबे |आब मिश्रा जी हमरा साथे विदा भेला| गाछी पहुंचला – ओतs मुश्किल सs १० टा गाछ रहल हेतई , ओ सोचला हमही कमोट कs दै छियै |आब कनि हुनक पोशाक पर ध्यान देल जा—- ऊपर उज्जर रंग के कमीज निचा एकदम तनल पतलून कमर में खाली गमछा रहैं| आब ओ खुरपी लेला आ लगला कमौट कर| गामक माटी पानी में खेलल छौरा भइयो क २ टा मात्र २ टा गाछ कमोट करबा में ओ भाई घाम सs नहा गेला |हम कहलियैन भाई छोरी दियौ अहन सs नै हात , से ओ किया मानता आब तs इज्जत के सवाल भ गेलैन| हम उम्हर सs हटि क कनि दोसर जगह टहलि देलौ,बगल में मंदिर छल, दर्शन क आधा घंटा बाद अबै छि तs हुनक हालत देखि कs हंशी छुटि गेल — हुनक शरीर पर वस्त्र के नाम पर मात्र गमछा दृष्टिगोचर भ रहल छल| आ निचा में बैश क कराहि रहल छला | हम पुछलीयें की भेल यौ ? हुनक जवाब छल – भाई आब हम काने पकरै छि जे खेत – खलिहान दिस जाब, हुनका हाथ स शोणित के धारा बही रहल छल | कारन जे हुनक अंगूठा पर खुरपी के तेज धार अपन कमाल देखा चुकल छल| जेना तेना हुनक प्राथमिक उपचार क घर पहुँचलौ|
मुदा धन्य छथि आजूक नवयुवक वर्ग आ हुनक नव फैसन |

All rights reserved. | | © 2010 :: Products are copyright authenticated to Mithila Blog & the authors.